काठमाडौँ | सौर्य एयरलाइन्सके दुर्घटनाग्रस्त ९ एन–एएमई–सीआरजे २०० कलसाई जहाजके जाँचबुझ करए लेल गठित दुर्घटना जाँच आयोग अपन अन्तिम प्रतिवेदन सार्वजनिक कएलक अइछ । आइ मन्त्रालयमे आयोजित एक कार्यक्रममे आयोगक अध्यक्ष रतिशचन्द्रलाल समुन संस्कृति, पर्यटन तथा नागरिक उड्डयनमन्त्री बद्रीप्रसाद पाण्डेकेँ समितिके अन्तिम प्रतिवेदन हस्तान्तरण कएने अइछ।
प्रतिवेदन लैत मन्त्री पाण्डे कोनो पक्षपात नै राइख क प्रतिवेदन आएल उल्लेख करैत एकरा कार्यान्वयनमे ल जेबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएलैन। आयोग प्रतिवेदन पेश करबाक सङे मन्त्रालय अपन ‘वेबसाइट’ मार्फत प्रतिवेदन सार्वजनिक कएलक देलक अइछ।
विगत साउन ९ गते त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रीय विमानस्थलसँ मर्मतके लेल पोखरा उड़ल सौर्य एयरलाइन्सक जहाज रन वे लगमे दुर्घटनाग्रस्त भेलापर जहाजमे सवार १८ गोटेक मृत्यु भेल छल। ओइ दुर्घटनामे पाइलट मनिष शाक्यकेँ जीवत उद्वार कएल गेल रहए। जहाज दुर्घटनाक दिन सरकार नेपाल नागरिक उड्डयन प्राधिकरणक पूर्वमहानिर्देशक रतिश चन्द्रलाल सुमनक नेतृत्वमे जाँचबुझ आयोग गठन कएने छल।
–––